मैथिली भगवती लोकगीत लिरिक्स (Maithili Bhagwati Geet lyrics) पढ़िये |

सभकेर सुधि अहाँ लै छी
सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे
हमरा किए बिसरै छी हे
थिकहुँ पुत्र अहींकेर जननी
से तऽ अहाँ जनै छी हे
एहन निष्ठुर किए अहाँ भेलहुँ
कनिको दृष्टि नहि दै छी हे
क्षण-क्षण पल-पल ध्यान करै छी
नाम अहींकेर जपै छी हे
रैनि-दिवस हम ठाढ़ रहै छी
दर्शन बिनु तरसै छी हे
छी जगदम्बा, जग अवलम्बा
तारिणि तरणि बनै छी हे
हमरा बेरि किए ने तकै छी
पापी जानि ठेलै छी हे
सभ के सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे
जयदेव जयदेव जय मंगलमूर्ति लिरिक्स
दिय भक्ति के दान जगदम्बे- मैथिली भगवती लोकगीत लिरिक्स
दिय भक्ति के दान जगदम्बे,
हम जेबै कतइ हे अम्बे
पुत्र गलती अनेको करै छई,
ओकरा माता ने एकौ धरै छै,
दिय दिय सहारा हे अम्बे हम,
जेबइ करइ हे अम्बे
दिय भक्ति के दान जगदम्बे,
हम जेबै कतइ हे अम्बे।
नैया डुबल छै बीच भँवर में
हमरा शक्ति नहि छै कमर में
दिय दिय सहारा हे अम्बे,
हम जेबइ करइ हे अम्बे
दैरल-दैरल अयलऊँ हे अम्बे
करिमऊ हमरा माफ हे जगदम्बे
दिय भक्ति के दान जगदम्बे,
हम जेबै कतइ हे अम्बे।
Maithili Bhagwati Geet lyrics (मैथिली भगवती लोकगीत लिरिक्स)
Diy Bhakti Ke Daan Jagadambe,
Ham Jebai Kati He Ambe
Putr Galati Aneko Karai Chhi,
Okara Maata Ne Ekau Dharai Chhai,
Diy Diy Sahaara He Ambe Ham,
Jebi Kari He Ambe
Diy Bhakti Ke Daan Jagadambe,
Ham Jebai Kati He Ambe.
Naiya Dubal Chhai Bich Bhanvar Mein
Hamara Shakti Nahi Chhai Kamar Mein
Diy Diy Sahaara He Ambe,
Ham Jebi Kari He Ambe
Dairal-dairal Ayalun He Ambe
Karimu Hamara Maaph He Jagadambe
Diy Bhakti Ke Daan Jagadambe,
Ham Jebai Kati He Ambe.